बुधवार, अगस्त 6, 2025
होमगीतहो दीनानाथ - छठ पूजा गीत

हो दीनानाथ – छठ पूजा गीत

सोना सट कुनिया हो दीनानाथ, हे घूमइछा संसार !
हे घूमइछा संसार

सोना सट कुनिया हो दीनानाथ, हे घूमइछा संसार !
हे घूमइछा संसार…

आन दिन उगइ छा हो दीनानाथ, आहे भोर भिनसार !
आहे भोर भिनसार

आजू के दिनवा हो दीनानाथ, हे लागल एती बेर !
हे लागल एती बेर

बाट में भेटिए गेल गे अबला, एकटा अन्हरा पुरुष !
एकटा अन्हरा पुरुष

अंखिया दिएइते गे अबला, हे लागल एती बेर !
हे लागल एती बेर

बाट में भेटिए गेल गे अबला, एकटा बाझिनिया !
एकटा बाझिनिया

बालक दिएइते गे अबला, हे लागल एती बेर
हे लागल एती बेर
हे लागल एती बेर
हे लागल एती बेर
हे लागल एती बेर

Share this content:

RELATED ARTICLES

कोई जवाब दें

कृपया अपनी टिप्पणी दर्ज करें!
कृपया अपना नाम यहाँ दर्ज करें

Most Popular